सामग्री पर जैथिन

डायोड

विकिपीडिया से
डायोड आकार-प्रकारमे भिन्न लौक सकहे । हियाँ चार डायोड देखावल गेल हे जे सब अर्धचालक डायोड हे । सबसे नीचेवाला एक ब्रिज-रेक्टिफायर हे जे चार डायोडसे बनल होवहे ।
डायोडके प्रतीक; ई प्रतीकसे एकरामे बहेवाला धाराके दिशो स्पष्ट होवहे ।

द्विअग्र या द्वयाग्र या डायोड (diode) एक ऐसन वैद्युत युक्ति हे जेकरामे विधुत धारा एक दिशामे बहहे । अधिकांशतः डायोड दु सिरा (अग्र) वाला होवहे किन्तु ताप-आयनिक डायोडमे दु अतिरिक्त सिरो होवहे जेकरासे हिटर जुड़ल होवहे ।

डायोड ढेर तरहके होवहे किन्तु ई सबके प्रमुख विशेषता ई हे कि ई एक दिशामे धाराके बड्डी कम प्रतिरोधके साथ बहे दे हे जखनिकि दोसर दिशामे धाराके विरुद्ध बड्डी प्रतिरोध लगावहे । इनकर एही विशेषताके कारण ई अन्य कार्यके अतिरिक्त प्रत्यावर्ती धाराके दिष्ट धाराके रूपमे बदलेला दिष्टकारी परिपथमे प्रयोग कैल जा हे । आजकलके परिपथमे अर्धचालक डायोड, अन्य डायोडके तुलनामे बड्डी अधिक प्रयोग कैल जा हे ।

डायोड जखनि अग्रदिशिक बायस (फॉरवर्ड बायस) होवहे त ओकरामे धारा बह सकहे, किन्तु पश्चदिशिक बायसके दशामे लगभग शून्य धारा बहहे ।
ई 'प्रेसपैक डायोड' हे जे हीटसिङ्कके बीच दबाके लगावल गेल हे । ई हजारो एम्पियर धारा ले सकहे ।